सहायता कक्षद्वारा २८ गोटे केँ आर्थिक सहयोग आ न्याय लेल पहल

स्मृति टाइम्स डटकम । २०८२ पुस १६ गते

जनकपुरधाम डिसीएद्वारा देल गेल आर्थिक सहयोग सँ अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्र (इन्सेक) मधेस प्रदेश मे गठन कएल मानव अधिकार सहायता कक्ष सन् २०२५ मे मानव अधिकार सम्बन्धी घटना सँ पीडित २८ गोटे केँ आर्थिक सहयोग देलक अछि आ न्याय तक पहुँच लेल विभिन्न निकाय मे पहल कए रहल अछि ।

मानव अधिकार सहायता कक्षक २०८२ साल पुस १६ गते जनकपुरधाम मे आयोजित बैठक मे इन्सेकक प्रदेश संयोजक राजु पासमान ई तथ्यांक सार्वजनिक कएलनि । हुनकर अनुसार बलात्कारक १५ गोटे, बलात्कार प्रयासक पाँच गोटे, यौन दुर्व्यवहारक एक गोटे, अपहरण पछाति बलात्कार आ हत्या भेल घटनाक दुई गोटे तथा दाइजो आ घरेलु हिंसाक पाँच गोटे पीडित लेल न्याय हेतु पैरवी करैत आर्थिक सहयोग प्रदान कएल गेल अछि ।

संयोजक पासमान कहलनि जे सहयोग प्राप्त करनिहार २८ गोटेमे सँ आठ गोटे दलित समुदाय सँ छथि । तहिना १३ गोटे मधेशी, पाँच गोटे जनजाति आ दुई गोटे मुस्लिम समुदाय सँ सम्बन्धित पीडित छथि ।

मानव अधिकार सहायता कक्षक अध्यक्ष राजकुमार महासेठक अध्यक्षता मे सम्पन्न पाँचम बैठक मे इन्सेक प्रदेश संयोजक पासमान जिलागत घटनाक विवरण प्रस्तुत कएलनि । हुनकर अनुसार सप्तरी सँ दुई गोटे, सिरहा सँ तीन गोटे, धनुषा सँ पाँच गोटे, महोत्तरी सँ सात गोटे, सर्लाही सँ नौ गोटे आ रौतहट सँ दुई गोटे पीडित केँ आर्थिक सहयोग आ न्याय मे पहुँच लेल निरन्तर पैरवी कएल जा रहल अछि ।

Source: https://shorturl.at/GC07q

Source: https://publicpress.com.np/2025/3553/

Source: https://shirishnews.com/2026/01/02/83942/